Sunday, January 6, 2013

सम्पन्न भेल मैथिली नाटक 'शेष नयिं' कऽ मंचन

कोलकाता : शहरक मैथिल सांस्कृतिक-साहि­त्यिक संस्था मिथियात्रिक - झंकार द्वारा कला मंदिरक कलाकुंजमे लोकप्रिय नाटककार परमादरणीय श्री गुणानाथ झाजी द्वारा लिखित अप्रकाशित नाटक ' शेष नयिं’ कऽ सफ़ल मंचन सम्पन्न भेल। प्रख्यात निर्देशक, गीतकार ओ अभिनेता श्री शंभूनाथ मिश्रा जी निर्देशनमे भेल नाटकमे समस्त कलाकारक अभिनय सराहनीय रहल। निर्देशक कलाकार शंभू जीक गंभीर आ भावपूर्ण अभिनय, श्री दिनेश जीक आत्मविश्वास सं भरल संवाद , श्रीमती शशिता रायक ममतामयी भौजीक भूमिका , श्री उत्तम चौधरीक आकर्षक उपस्थिति आदि दर्शककेँ रुचिगर लागल।
(समाद : भास्कर झा)

0 comments:

Post a Comment