मिथिलाक संस्कृति आ भाषा समृद्ध
रांची: झारखंड मैथिली मंच दिस सऽ बीतल रवि केँ हरमू कॉलोनी स्थित विद्यापति दालान पर मिथिला कैलेंडरक लोकार्पण कएल गेल। लोकार्पण विधानसभा अध्यक्ष सीपी सिंह, उपमहापौर अजयनाथ शाहदेव, मंचक अध्यक्ष काशीनाथ झा आदि केलनि। एहि अवसरि पर विधानसभा अध्यक्ष सीपी सिंह कहलनि जे संस्कृति कऽ नष्ट होएबाक चिंता व्यर्थ अछि। संस्कृति कहियो नष्ट नहिँ होइत अछि। मिथिलाक संस्कृति आ भाषा बहुत समृद्ध अछि। झारखण्डमे मैथिली केँ द्वितीय राजभाषाक दर्जा दियाबय लेल ईमानदारी सऽ प्रयास करबाक जरूरत अछि। उपमहापौर अजयनाथ शाहदेव कहलनि जे मिथिला पंचांग बहुत पुरान समय सऽ विवाह आ आन काजमे उपयोग आबैत अछि। बनारस पंचांगक निर्माणमे सेहो मैथिल पंडितक योगदान रहल अछि। मौका पर परिचर्चाक आयोजन सेहो भेल। परिचर्चाक विषय छल हमर नव पीढ़ी आ मैथिलीक भविष्य। एहिमे अशोक अविचल कहलनि जे मैथिली केँ आगू बढ़ाबयलेल एहिमे विज्ञान आ तकनीक संबंधित विषय केँ जोड़बाक चाही, तखने युवा वर्ग केँ ओहि सऽ लाभ होएत। अर्धनारेश्वर कहलनि जे मैथिली भाषाक अतीत समृद्ध रहल अछि। सियाराम झा सरस कहलनि जे भाषा आ संस्कृति दुनू संग-संग चलैत अछि। मैथिली केँ बढ़ावा देबाक लेल नव पीढ़ी केँ जोड़बाक लेल और डेग उठाबयक जरूरति अछि। एहि अवसरि पर मंचक अध्यक्ष काशीनाथ झा, महासचिव केके झा, सचिव जयंत कुमार झा, मनोज मिश्र संगे बहुतो लोक उपस्थित छलथि।
0 comments:
Post a Comment