Tuesday, January 8, 2013

सर्वागीण विकासक लेल मिथिला राज्य जरूरी

दरभंगा : अलग मिथिला राज्यक गठन केर मांग कऽ लऽ कुशेश्वरस्थानक पूर्वी प्रखंड मुख्यालय पर बीतल सोम दिन अखिल भारतीय मिथिला राज्य संघर्ष समितिक कार्यकर्ता धरना देलनि। संजय कुमार सिंहक नेतृत्वमे सभा भेल। समितिक राष्ट्रीय अध्यक्ष बैद्यनाथ चौधरी बैजू सभा केँ संबोधित करैत कहला जे लगातार भऽ रहल उपेक्षाक कारण संपूर्ण मिथिला पिछड़ि गेल अछि। एतुक्का लोक बाढ़ि आ सुखाड़क मारि झेल रहल छथि। अखन धरि एकर स्थाई समाधान नहिँ भऽ सकल अछि। बेरोजगारीक समस्या एतय सामान्य अछि। एतुक्का लोक रोजी-रोटी लेल अन्य प्रदेश जाइत अछि तऽ दुत्कारल जाइत छथि। डा॰ बैजू मिथिलाक सर्वागीण विकास लेल अलग मिथिला राज्य लेल लोकसभ सऽ एकजुट भऽ संघर्ष करबाक आह्वान केलनि। सभा केँ चंद्रशेखर साह, बाबूकांत चौधरी, लालबाबू साह संगे बहुतो लोक संबोधित केलनि।

0 comments:

Post a Comment