मिथिला राज्य सऽ कम किछु नहिँ
दरभंगा : मिथिलांचल विकास सेना केर तत्वावधानमे आइ कमला नेहरु पुस्तकालय, लहेरियासरायमे कार्यकर्ता सम्मेलन संग चिँतन शिविरक आयोजन भेल, जेकर शुरुआत गोसाउनिक गीत 'जय जय भैरवी' सऽ भेल। एकरा बाद अखिल भारतीय मिथिला पार्टीक प्रमुख रत्नेश्वर झा सभाके संबोधित करैत कहला जे मिथिला राज्य समयक मांग अछि। ओ बिहार सरकार केँ राज्य गीत आ प्राथनाक वास्ते धन्यवाद देलनि जाहि मे मिथिलाक कोनो चर्चा नहिँ अछि। ओ कहला जे आब बिहार मिथिला केँ राज्यगीतक बाद अलग कऽ देलक अछि। जानकी सेनाक प्रवक्ता संग मिथिला विकास परिषद्क मधुबनी प्रमुख अजय यश कहला जेविकासक संग मिथिला राज्य चाही। मिथिलांचल मुक्ति मोर्चाक प्रमुख सरोज चौधरी कहला जे जखन जापान सन छोट देशमे 55 टा राज्य अछि आ विकसित देश भऽ गेल अछि तखन फेर भारत सन पैघ देशमे 28 टा राज्य कियैक ? छोट राज्य विकास करैत अछि आ विकासक लेल मिथिला राज्य चाही। कार्यक्रमक मुख्य वक्ता प्रवीणनारायण चौधरी व्यस्तताक कारणे नहिँ आबि सकला, ओ अपन संदेश भेजि देने छलथि जेकरा आदित्य झा पढ़ला। मौका पर बैद्यनाथ चौधरी दू टा विद्यापति गीत गेलनि जे प्रशंसनीय रहल। सभाके शिवशंकर झा, दिलीप मिश्र, मो॰ अख्तर, शशिलाल दास, दिलीप महतो, जयशंकर सिँह आदि संबोधित केलनि आ इ सभ जोर दऽ कऽ कहला जे आब मिथिला राज्य सऽ कम किछु नहिँ। एहि मौका पर दस सूत्री मांग कएल गेल जाहिमे मिथिला क्षेत्रमे मैथिलीमे प्राथिमक शिक्षा भेटय, मिथिलाक बेटी जे राजस्थानमे समूह दुर्ष्कमक शिकार भेल, ओकरा न्याय भेटय, उत्तर बिहार क्षेत्रीय ग्रामीण बैँकक नाम मिथिला क्षेत्रीय ग्रामीण बैँक राखल जाए, मिथिला राज्यक र्निमाण हो आदि प्रमुख अछि। कार्यक्रमक संचालन आदित्य झा आ धन्यवाद ज्ञापन कैलाश चौधरी केलनि। मौका पर मैथिली सिनेमाक अभिनेता मंगलानंद झा, विजय जी, नयन कुमारक संगे सैकड़ो लोक उपस्थित छलैथ।
0 comments:
Post a Comment