मुजफ्फरपुर : अंतर्राष्ट्रीय मैथिली परिषद् मुजफ्फरपुर द्वारा बीआरए विवि केर सभागारमे मंगलकेँ मैथिली सम्मान दिवस मनाओल गेल। एकर अध्यक्षता करैत डा॰ इन्द्रकात झा कहलनि जे मैथिली भाषा आ मिथिलाक विकास लेल मिथिला राज्य आवश्यक अछि। विभागाध्यक्ष डा॰ अमरनाथ झा बिहार सरकार सऽ मांग केलनि जे मैथिलीमे प्राथमिक शिक्षा शीघ्र शुरु कएल जाए।
ओ जानकारी देलनि जे पटना उच्च न्यायालयमे एहि लेल ओ रिट याचिका दर्ज करौलनि अछि। सचिव डा॰ प्रवीण कुमार मिश्र मैथिली लेखक सभ सऽ आह्रान केलनि जे एहन रचना सेहो लिखथु जाहि सऽ नोबल आ ज्ञानपीठ पुरस्कार सेहो भेटि सकए। पूर्व विभागाध्यक्ष डा॰ कमला चौधरी मिथिला राज्यक आवश्यकता पर जोर देलनि। एहि अवसरि पर अनुपम रैना, राम नरेश राय, गंगा प्रसाद झा, डा॰ मदन मिश्र, शारदानंद झा, डा॰ रंजना झा, डा॰ रत्नकृष्ण झा, मुकुल बेनीपुरी, चंद्रमोहन झा, एसएन ठाकुर, लाल बाबू सहनी आदि सेहो विचार रखलनि। डा॰ प्रवीण कुमार मिश्रक अध्यक्षतामे कवि गोष्टी सेहो भेल।
Jai Mithila...Jai Mithila...Jai Mithila...Jai Mithila...Jai Mithila...Jai Mithila...Jai Mithila...Jai Mithila...Jai Mithila...
ReplyDelete