Friday, March 15, 2013

कोसी पर रेल महासेतु बनलासँ विकासक द्वार खुजत : विमलानंद झा

सुपौल : सुपौलक लोक शांत, सुसंस्कृत आ मेहनती छथि। एकरे कारण, जिला विकासक पथ पर अग्रसर अछि। इ बात कोसी प्रमंडलक आयुक्त विमलानंद झा कहलनि। ओ स्थानीय गांधी मैदानमे बीतल बृहस्पति के आयोजित 22म जिला स्थापना दिवस समारोह 2013 केँ संबोधित कऽ रहल छलथि। आयुक्त कहलनि जे, कोसी पर सड़क महासेतु बनलाक बाद दू भागमे विभक्त मिथिलाक एकीकरण भेल अछि। विकासक रास्ता बनि रहल अछि। रेल मार्ग पर काज चलि रहल अछि। एकरा पूरा होएबा सऽ आर्थिक, सामाजिक आ सांस्कृतिक विकासक मार्ग बनत।
ओ कहलनि, कोसीक बाढ़ि क्षेत्रक पैघ समस्या रहल अछि। कोसी तटबंधक सुदृढ़ीकरण, ऊंचीकरण आ पक्कीकरण सऽ बाढ़िक समस्यासँ मुक्ति भेटत।

0 comments:

Post a Comment