Friday, March 15, 2013

बरौनी केँ जल्द भेटत कोयला

पटना/बरौनी/बेगूसराय :
केंद्रीय कोयला राज्यमंत्री श्रीप्रकाश जायसवाल कहलनि जे बरौनी थर्मल पावर प्रोजेक्टक लेल केंद्र जल्द कोयलाक व्यवस्था करत। प्रदेश केँ कोल ब्लाक सेहो देल जाएत। जायसवाल, बृहस्पतिक राति पटनामे मीडियाकर्मी सऽ बात कऽ रहल छलथि।

बिहार सरकार बहुत दिनसँ कोयलक लेल परेशान अछि। आब इ देखानाय रोचक रहत जे केंद्रीय मंत्रीक इ भरोसा कहिया अमलमे आओत ? असलमे बरौनी ताप विद्युत गृहक विस्तार योजनाक अंर्तगत 250-250 मेगावाटक दू इकाइ केँ स्थापना होएबाक अछि। 110-110 यूनिटक दू टा बंद इकाइकेँ पुनरुद्धारक काज चलि रहल अछि। एकरा लेल कोल लिंकेजक प्रश्न पर मुख्यमंत्री नीतीश कुमार प्रधानमंत्री आ योजना आयोग सऽ भेट कऽ चुकल छथि। कतेको बेर चिट्ठी सेहो लिखि चुकल छथि।

बरौनी थर्मल प्रोजेक्टक लेल सालाना 2.65 मिलियन टन कोयलेक जरूरत अछि। इ योजना भूमि अधिग्रहण लागत संगे लगभगि 3666 करोड़क अछि।

0 comments:

Post a Comment