Friday, March 15, 2013

मिथिला राज्यक बिना विकास नहि

दरभंगा : मिथिलाक पाइ आ मेहनतिसँ महानगरक विकास भऽ रहल अछि। एतुक्का लोक तऽ बस इ चाहैत छथि जे हुनकर पाइकेँ मिथिलाक विकास पर खर्च कएल जाए। मिथिला क्षेत्रकेँ स्वाधीनताक बाद सभ सरकार उपेक्षित रखलक। एहि नीतिकेँ तखने खत्म कएल जा सकत जखन अलग राज्यक निर्माण होए। मिथिला राज्यक निर्माण बिना एहि क्षेत्रक विकास संभव नहि अछि। अखिल भारतीय मिथिला राज्य संघर्ष समितिक महासचिव आ मिथिला विकास परिषदक अध्यक्ष अशोक झा बीतल काल्हि संयुक्त रुपे स्थानीय एमएलएसएम कालेजमे कहलनि। डा॰ चौधरी तेलांगना, विदर्भ, हरित प्रदेश, पूर्वाँचल, गोरखालैँड, बुंदेलखंड संगे मिथिला केँ एक संग प्रदेश घोषित करबाक मांग उठौलनि। हिनक कहब छल जे NDA मिथिला केँ भाषायी आधार देलक तऽ UPA सरकार अलग राज्य घोषणा करए। छोट राज्य विकासक प्रतीक अछि। अलग राज्य बनि गेलाक बाद मिथिलाक विकास तेजीसँ होएत।

ओतय अशोक झाक कहब छल जे अलग राज्यक आंदोलन केँ और तेज कएल जाएत। एहि क्रममे गोरखालैँड आंदोलनक महासचिव विमल गुरुंग सऽ जूनक पहिल सप्ताहमे भेट करबा लेल एतय सऽ दार्जलिँग जाएब। ओहि भेटमे समेकित रुपे आंदोलन चलेबाक आदि बात होएत।
श्री झा कहलनि जे स्थानीय जनप्रतिनिधिक लापरवाहीक कारण एहि क्षेत्रक रेल परियोजनाक स्थिति बदतर अछि। ओ जयनगर-आनंद विहार केँ नियमित करबाक मांग केलनि।

1 comment:

  1. 'अखिल भारतीय' जोड़ि मिथिला राज्य संघर्ष समिति क नामक पुरान (1994-5 स लगातार चलि रहल संस्था जे अंतरराष्ट्रीय मैथिली परिषद क ईकाई अछि) काज केनाइ अशोभनीय अछि खास काय एहेन व्यक्ति द्वारा जे कहियों डॉ। जयकान्त मिश्रक संग मिथिला राज्य संघर्ष समिति क सदस्य नही रहलाह। ई सांगठनिक Plagiarism achhi(Plagiarism is a form of cheating because it's stealing another person's ideas) आ एहिमे कोनो नीक आदमी के संग नही देबाक चाही आ हुनका आपण मुहिम्क नाम बदलबा लेल कहक चाही. वर्तमानमे मिथिला राज्य संघर्ष समिति क अध्यक्ष डॉ। सत्यनारायण महतो दलसिंगसराई छथि आ ओकर द्वार अनेक धरना, यात्रा, सम्मेलन होइत रहैत अछि.

    ReplyDelete