Saturday, March 16, 2013

कोइली घूरि आउकेँ विमोचन सम्पन्न

जलेश्वर :
मैथिली भाषाक बालकथा संग्रह ‘कोइली घूरि आउ’केँ शुक्रदिन एक समारोह बीच विमोचन कएल गेल अछि ।
विमोचन फिडा इन्टरनेशनलक कन्ट्री डाइरेक्टर पाइभी लेपानेन आ एमनेष्टी इन्टरनेशनल नेपालक केन्द्रीय अध्यक्ष शम्भु ठाकुर कएलन्हि अछि ।
युवा पत्रकार सुजीत कुमार झाद्वारा लिखित ओ पुस्तकमे २७ टा कथा समावेश कएल गेल अछि ।
नेपाल पत्रकार महासंघ महोत्तरीक जलेश्वर स्थित सभा कक्षमे आयोजित ओ समारोहमे वक्तासभ बालकथा संग्रहकेँ प्राथमिक विद्यालयक पाठ्यक्रममे समावेश करयकेँ मांग कएलन्हि ।
मैथिली भाषा साहित्य लेखन क्षेत्रमे युवासभ सक्रिय भऽ कऽ लागि रहल प्रति वक्तासभ प्रशंसा व्यक्त करैत मैथिलीकेँ आम लोक संग जोडएकेँ मांग कएलन्हि ।
पुस्तककेँ विमोचन करैत फिडा इन्टरनेशनल नेपालक कन्ट्री डाइरेक्टर लेपानेन मैथिली भाषा संसारक सभ सँ मधुर भाषा रहल चर्चा करैत एकरा विकासमे फिडा गम्भीरता पूर्वक काज कऽ रहल जानकारी देलन्हि ।
मातृभाषामे पढाई भेला सँ धियापुताकेँप्रगति जल्दि होइत अछि ई सत्यकेँ सभकेँ बुझए पडत ओ कहलन्हि ।
दोसर प्रमुख अतिथि शम्भु ठाकुर मैथिली भाषा साहित्यमे मानव अधिकारक बात सभ उठाबए साहित्यकार सभ सँ आग्रह कएलन्हि ।
मैथिली भाषाक वरिष्ठ साहित्यकार डा. राजेन्द्र विमल धियापुता सँ जुड़ल साहित्यकेँ रचना पर जोड देबए युवा साहित्यकारसभकेँ ­ सल्लाह दैत कहलन्हिधियापुते सँ मैथिली पढएकेँ बातावरण बनाबए पड़त ।
जनकपुर अञ्चल प्रहरी कार्यालयक बरिष्ठ प्रहरी उपरीक्षक शिव लामिछानेमैथिली भाषा साहित्यकेँ स्वर्णिम इतिहास रहल चर्चा करैत एकरा रोजी रोटीसँ जोडएकेँ मांग कएलन्हि ।
नेपाल पत्रकार महासंघ धनुषाक अध्यक्षराम अशिष यादव मैथिली भाषाक विकासक लेल प्रकाशन संस्था स्थापना पर जोड़ देलन्हि ।
साझा प्रकाशन टाइपकेँ सरकारी स्तर सँ प्रकाशन गृह स्थापनाक ओ मांग कएलन्हि ।
महोत्तरी शाखाक अध्यक्ष हरि प्रसाद मण्डल महोत्तरीमे मैथिलीक गतिविधि बढाबएकेँ आवश्यकता रहल चर्चा करैत सम्पूर्ण प्राथमिक विद्यालयमे मैथिली भाषाक पढाई अनिवार्यता पर जोड़ देलन्हि ।
नागरिक समाजक अगुवा अमर चन्द्र अनिल कोइली घूरि आउ पुस्तक धियापुताक लेल महत्वपूर्ण रहल चर्चा करैत एहि पुस्तककेँ विद्यालयमे पढाबए लेल लागुकरवाक मांग कएलन्हि ।
मानव अधिकारवादी विजय दत्त सुजीतक साहित्य यात्रा निरन्तर जारी रहल प्रति प्रशंसा करैत मैथिलीकेँ हरेक क्षेत्रमे पुस्तक लेखन करवाक लेल साहित्यकारसभ सँ आग्रह कएलन्हि ।
युवा नेपालक अध्यक्ष राज कुमार यादव मिथिलाक लिपि भेलाक बादो ओ लिपि हेरा रहल प्रति चिन्ता व्यक्त कएलन्हि ।
विद्यापति पुरस्कार कोषक सदस्य सचिव श्याम सुन्दर शशि मैथिलीक मुद्दाकेँ राजनीतिक दलसभकेँ गम्भीरता पूर्वक उठाबए मांग कएलन्हि ।
वानक केन्द्रीय उपाध्यक्ष राजेश कुमार कर्ण कोइली घूरि आउकेँ प्रशंसा करैत धियापुताक लेल ई महत्वपूर्ण पुस्तक सावित हएत चर्चा कएलन्हि ।
मठियानी क्याम्पसक प्राध्यापक मनोज मुक्ति महोत्तरीक जलेश्वरकेँ मैथिलीक केन्द्र बना कऽ आगा बढाबए विद्वानसभ सँ आग्रह कएलन्हि ।
आफन्त नेपालक उपाध्यक्ष प्रदीप यादवकसभापतित्वमे भेल ओ समारोहमे नेपाली काँग्रेसक वजरंग नेपाली, तमलोपाक सुरेश पाण्डे, एमनेष्टी इन्टरनेशनल महोत्तरीक अध्यक्ष धु्रव राय, समाजिक कार्यकर्ता शेष नारायण झा, आफन्त नेपालक कार्यक्रम संयोजक जय प्रकाश मण्डल, कोइली घूरि आउ पुस्तकक लेखक सुजीत कुमार झा, पत्रकार अमर कान्त अमर सहितक वक्तासभ वाजल छलथि। (रिर्पोट : सुजीत कुमार झा)

0 comments:

Post a Comment