Sunday, March 17, 2013

विकासक लेल पूर्णिया जंक्शन पर धरना

पूर्णिया : पूर्णिया जंक्शन पर सुविधा बढ़ेबाक मांग संगे बहुतो मांग लऽ बिहार विकास मोर्चा पूर्णिया जंक्शन परिसरमे धरना देलक आ 12 सूत्री मांगपत्र स्टेशन प्रबंधकक माध्यमे कटिहार मंडल रेलप्रबंधक केँ देलक। संगे मोर्चाक नेता लोकनि कहलनि जे जौँतीन सप्ताहक भीतर मांग नहि विचारल गेलतऽ चरणबद्ध आंदोलन होएत।
मोचाक प्रदेश अध्यक्ष राकेश कुमार सिंह कहब छल जे भारत नेपाल आ भारत बांग्लादेशक सीमसँ सटल पूर्णिया जंक्शन आइ धरि रेलवेक मामलामे पिछड़ल अछि। डीआरएम केँ लिखल मांगपत्रमे कहल गेल अछि जे पूर्णिया रेलवे जंक्शन केँमाडल स्टेशन बनाओल जाए आ सीमांचल एक्सप्रेसक रुकबाक समय बढ़ाओल जाए। एकरा संगे आम्रपाली एक्सप्रेसक परिचालन जोगबनी होए, कसबा,गढ़बनैली आ जलालगढ़मे सीमांचल एक्स्रपेस रुकय, जोगबनी सऽ कोलकाता जाय वाली चित्तपुर एक्सप्रेस सप्ताहमे तीन दिनक बदले प्रतिदिन चलय,कटिहार-पटना इंटर सिटीक परिचालन भायाजोगबनी होए, कैपीटल एक्सप्रेसक परिचालन जोगबनी सऽ होए, पूर्णिया जंक्शनक सौन्दर्यीकरण आ पूरा प्लेटफार्म पर शेड बनय, पूर्णिया-सहरसा रेल खंड पर आमान परिर्वतनक काज जल्द पूरा होए, पूर्णिया कोर्ट स्टेशनआ बनमनखीमे कम्प्यूटराइज आरक्षणक सुविधाक संग रानीपतरामे रैक प्वाइंट आ बेलौरीमे हाल्ट बनेबाक मांग कएल गेल। एहि मौका पर अशोक चौधरी, बमबम साह, पुटी झा, रिजवान, मोइन खां, जरदीश, अलत मिश्रा, रितेश, हरिओम झा, विजय यादव, संदीप, रवि ठाकुर आदि उपस्थित छलथि।

0 comments:

Post a Comment