विद्यापतिक स्मृतिमे जारी होए डाक टिकट : विनोद कुमार चौधरी
दरभंगा : विधान पार्षद प्रो॰ विनोद कुमार चौधरी कवि कोकिल विद्यापतिक स्मृतिमे डाक टिकट जारी करबाक मांग केंद्र सरकारसँ केलनि। बीतल सोम केँ ओ प्रश्न उठाबैत केंद्र सरकारसँ मांग केलनि। विनोद चौधरीक एहि प्रस्ताव केँ सदनमे कार्य मंत्री स्वीकार केलनि आ केँद्र सरकार द्वारा एकर अनुशंसा कएल जा रहल अछि। विनोद चौधरी कहलनि जे विद्यापतिक स्मृतिमे डाक टिकट जारी होएबासँ मैथिली भाषाक सम्मान आओर बढ़त।
0 comments:
Post a Comment