मिथिला सांस्कृतिक यात्रा लेल परिचर्चा आयोजित
दरभंगा : अन्तर्राष्ट्रीय मैथिली परिषद आ मिथिला विद्यार्थी परिषदक तत्वावधानमे डा॰ नरेन्द्र कुमार चौधरीक अध्यक्षतामे बीतल शुक्रदिन जालान बेला कालेजमे मिथिला नववर्ष आ मिथिला सांस्कृतिक यात्रापर चर्चा आयोजित कएल गेल। समारोहमे मुख्य अतिथिक रुपे पूर्व चीफ एडमिरल विश्वमोहन तिवारी आ विशिष्ट अतिथिक रुपे डा. धनाकर ठाकुर छलथि। मौका पर पीके झा, केशव रत्न, राधेश्याम यादव, सुगम्बर मेहता, अमरनाथ झा, दिलीप कुंवर, अनिल ठाकुर, राजीव कर्ण संगे बहुतो लोक उपस्थित छलथि। मंच संचालन कैलाश नाथ झा आ धन्यवाद ज्ञापन डा. ममता झा केलनि।
0 comments:
Post a Comment