Saturday, April 13, 2013

किशनगंजमे नहि भेटल पेट्रोलियम पदार्थ : ओएनजीसी

पूर्णिया/किशनगंज : मिथिलामे पेट्रोलियम पदार्थ तकबा लेल चुनल गेल पूर्णिया बेसिनक एक ठाम निराशा भेटल अछि। किशनगंज जिलाक कोचधामिन लग नरकाटी-कुलबारी, मौजा-गरजा गाम लग ड्रिलिँग शुरु कएल गेल छल। ओएनजीसी एहि जगहक नाम रसूलगंज-1 रखलक अछि। एहिजगह पर 4226 मीटर गहीर धरि ड्रिलिँग करबाक बादो तेल आ गैस(हाइड्रोकार्बन) केर कोनो टा निशान नहि भेटल। एहि लेल ओएनजीसी ओतय ड्रिलिँगक काज बंद कऽ देलक अछि।

एतयसँ कनिके दूर बहादुरगंज प्रखंडक कोरट बनगांवा लग पेट्रोलियम पदार्थ तकबा लेल फेर सऽ खोदबाक काज शुरु कएल गेल अछि। पहिल ठाम सफलता नहि भेटलाक बाद एतय ड्रिलिँगक काज शुरु भेल अछि। एतय 4000 मीटर धरि खोदल जाएत।
बताबी जे पूर्णिया बेसिन क्षेत्रमे किशनगंज जिलाक बादुरगंज प्रखण्डमे दूठाम केँ बरख 2007 मे चिन्हित कएल गेल छल। ओएनजीसी दुनू स्थान केँ आठ बरख लेल लीज पर लेने छल। ग्रैवेटी-मैगनेटिक सर्वे(2डी-3डी सर्वे) केर बाद पूर्णिया बेसिनक किशनगंजमे दू टा जगहक चयन कएल गेल छल। दुनू ठाम लगभगि 2537 वर्ग Km क्षेत्रमे ड्रिलिँग होएबाक छल।

पूर्णिया बेसिनक समानांतर बंगलादेशमे एक-दू ठाम पेट्रोलियम पदार्थ भेटल अछि। एक ठाम प्राकृतिक गैसक भंडारक पता चलल अछि एहि कारणे एतयसँ पेट्रोलियम पदार्थ भेटबाक संभावना बुझा रहल अछि। पूर्णिया बेसिनसँ बंगलादेश धरि भौगोलिक रुपे गोँडवाना तलछट(सेडिमेँट्स) अछि। एहि कारणे एकर प्रकृति एक रंग मानल जाइत अछि।

0 comments:

Post a Comment