तीन मासमे रक्सौल धरि दौड़त ट्रेन : एडीआरएम
समस्तीपुर/सीतामढ़ी/रक्सौल : समस्तीपुर रेल मंडलक एडीआरएम एचएस पटियाल कहलनि जे अगिला तीन मासक भीतर रक्सौल धरि ट्रेन चलत। एकरा संगे इलाकामे ट्रेनक संख्या बढ़त, संगे यात्री सुविधामे सेहो बढ़ोतरी होएत। एडीआरएम श्री पटियाल कहलनि जे जुलाई माससँ ट्रेनक समय सारिणीमे बदलाव होएत। ओ कहलनि जे सीतामढ़ीसँ रुन्नीसैदपुर धरि जाय वाली ट्रेन केँ मुजफ्फरपुर धरि विस्तार होए, एकर प्रयास करब। हुनक कहब अछि जे रक्सौल धरि काज युद्ध स्तर पर जारी अछि। इ बात सभ श्री पटियाल सीतामढ़ीमे पत्रकार सभसँ गप्प करैत कहला।
0 comments:
Post a Comment