Tuesday, April 16, 2013

कोसी सांस्कृतिक महोत्सव 26 अप्रीलसँ

सहरसा : भारतीय जन नाट्य संघ (इप्टा) द्वारा तीन दिनी कोसी सांस्कृतिक महोत्सवक आयोजन 26 अप्रैलसँ कला भवनमे कएल जाओत। आयोजनक सफलता लेल बीतल शनि केँ प्रदेश उपाध्यक्ष डा. दीपक गुप्ताकअध्यक्षतामे कार्यकर्तागणक संजय पार्कमे बैसार भेल।
बैसारमे महोत्सवक अंतिम दिन 28 अप्रैल केँ शहरमे लोक रंग यात्रा निकालबाक निर्णय लेल गेल। एहिमे आन राज्यक लोक संस्कृति पर आधारित झांकी प्रस्तुत कएल जाएत। महोत्सवमे कोलकाता सँ नाट्य निर्देशक प्रवीर गुहा, चेन्नई सँ विभा रानी आ उत्तर प्रदेशक गोरखपुर सँ अजीत प्रताप सिंह नाट्य टीम आ सांस्कृतिक दलक संग आबि रहल छथि। महोत्सवक सफलता लेल उपसमिति गठित कएल गेल अछि।
बैसारमे इप्टाक अध्यक्ष अनिल कुमार, सचिव रमेश पासवान, रविशेखर, पूजा कुमारी, ज्योति कुमारी, प्रिया राय, जीवेश, सोनू, मुकेश कुमार, संजय सारथी, विनय कसौधन, दीपा कुमारी, हरिलाल, मुकेश कुमार झा मुन्ना, दीप नारायण, रुपेश आदि उपस्थित छलथि।

0 comments:

Post a Comment