Tuesday, April 16, 2013

पद्मश्री महासुंदरी देवीक हालत गंभीर

मधुबनी : मिथिला पेँटिँग रुपी गाछमे पानि आ रंग भरि ओकरा बड़क गाछ जेँका पैघ वटवृक्ष बनौनिहारि पद्मश्री महासुंदरी देवी गंभीर रुपे बीमार छथि। महासुंदरी देवी नाममात्रक जलखै आ किछु चम्मच पानि टा पीबि रहल छथि। हुनका अखन दिनमे दू बोतल पानि चढ़ाओल जा रहल अछि। शहरक प्रसिद्ध चिकित्सक डा॰ एससी झाक हुनक देख-रेखमे लागल छथि।

22 अप्रील केँ 91म जन्मदिन मनाबय जा रहली महासुंदरी देवी आब ब्रश आ रंगक संग छोड़ि चुकल छथि। प्रांत स्तरसँ राष्ट्रीय स्तर धरि 28 गोट पुरस्कार प्राप्त केनिहाइर महासुंदरी देवी 1961 सँ अप्पन काजसँ दुनिया केँ अचंभित केनाय शुरु केने छलथि। कलाकेँ समर्पित एहि पद्मश्री केँ एतुक्का दू गोट मुख्यमंत्री जगन्नाथ मिश्रा आ नीतीश कुमार मधुबनी आबि हुनका पेँटिँग बनौबैत देखि अपना आप केँ धन्य कऽ चुकल छथि। हुनक पुत्र विपिन लाल दास कहैत छथि जे छौ मास पहिले धरि माय छोट-मोट काज कऽ लैत छली मुदा आब नहि, देखैत छी माय कहिया धरि हमरा सभक संग रहैत छथि। पद्मश्री, तुलसी सम्मान, शिल्प गुरु, राष्ट्रीय सम्मान संगे कतेको पुरस्कारसँ पुरस्कृत एहि कोहिनूर पर बिहार सरकार एकटा लघु सिनेमा बना रहल छथि। मिथिला प्राइम टीम हुनक जल्द स्वास्थ लाभक कामना करैत अछि।

0 comments:

Post a Comment