Monday, June 3, 2013

'जागू मिथिलावासी नहि त पहिचान मेटि जायत' - मिरानिसे

मुजफ्फरपुर, मिप्राप्र: 'जागू मिथिलावासी नहि त पहिचान मेटि जायत' केर उद्घोष करैत, रवि के मुजफ्फरपुरक चौक-चौराहा सभठाम मिथिला राज्य निर्माण सेनाक रथ बौआति रहल।


मिथिला राज्य निर्माण सेना दिस सँ मिथिला राज्य केर निर्माण लेल मिथिला क्षेत्रक जनता के जागरूक करबाक लख्य सँ यात्रा आयोजित कराओल गेल अछि। एक जून के पुनौराधाम सँ सुरू भेल, ई यात्रा 10 जून के सहरसा में थमत। मिथिला राज्य निर्माणक माङ ल'क' चलाओल जा रहल आंदोलनक ई पहिल खेप अछि। अगिला खेपक आयोजनक तारीख एखन धरि सोझा नञिं आओल अछि।

कार्यक्रमक संयोजक विनय कुमार झा मिडियाकर्मी लकनिं के जनओलाह की आई सात करोड़ मैथिली-भाषी केंद्र आ राज्य सरकारक उपेक्षा ल'क' आपन अस्तित्व लेल चिंतित छथिं। मिथिलाक पौराणिक आ गौरवपूर्ण संस्कृति कें मेटैबाक खतरा सोझा आबि गेल अछि। क्षेत्रक सामाजिक आ आर्थिक उन्नती सेहो संकट में धँसल अछि। एहि कारणें समयक मांग अछि की मिथिला राज्यक त्वरित स्थापना होवए।


1 comment:

  1. Ee Bahir - Biklang Bihar Sarkar kichhu nay sunat.. Udghosh ehan homay ki Delhi dol jay

    ReplyDelete