
दरभंगा : मिथिला राज्य निर्माण कऽ लऽ सीतामढ़ीक पुनौराधामसं चलल जनजागरण रथ बीतल बुधदिन दरभंगा पहुंचल। भरि दिन शहर घुमलाक बाद सांझमे दरभंगा जंक्शन लग एकटा बैसार आयोजित भेल जेकर अध्यक्षता शफी अहमद केलनि। मौका पर वक्तागण कहलनि जे आजादीक 65 बरख बादो हम सभ आजाद नहि छी, एक बेर आओर आजादीक लड़ाइ लड़य पड़त आ मिथिला राज्य बनाबय पड़त। इलाकामे नव उद्योग स्थापित केनाय तऽ दूर पुरनो उद्योग के बंद कऽ देल गेल। वक्तागण आब संघर्ष तेज करबा पर जोर देलनि। सभा केँ कौशल किशोर दास, ठाकुर सुमन, कमल किशोर झा, उदयशंकर मिश्र, शफी अहमद खां आदि संबोधित केलनि। मौका पर राजकुमार यादव, अनूप कुमार, आदित्य झा आदि उपस्थित छलथि। इ रथ आब दरभंगाक बाद आइ मधुबनी होइत 10 जून केँ सहरसा धरि जाएत।
0 comments:
Post a Comment