Thursday, July 25, 2013

मिथिला राज्य मांग लऽ 5 अगस्तसं होएत संसदक समक्ष धरना

दरभंगा : पृथक मिथिला राज्यक मांग जोड़ पकड़य लागल अछि। बीतल 6 मासमे मिथिला राज्यक मांग एक बेर फेर जोर शोरसं उठल अछि। एहि क्रमकेँ आगू बढ़ौबैत अखिल भारतीय मिथिला संघर्ष समिति आगामी पांच अगस्तसं संसद पर धरना देत। इ गप्प समितिक अध्यक्ष डा. बैद्यनाथ चौधरी बैजू विद्यापति सेवा संस्थान कार्यालय परिसरमे प्रेसवार्ता मे कहलनि। ओ कहलनि जे धरनामे सांसद कीर्ति आजाद आ महेश्वर हजारी , विधायक अनिल झा संगे बहुतो जनप्रतिनिधि भाग लेता। सदन चलबा धरि समितिक अमरेन्द्र झा, बुचरू पासवान , विष्णुदेव विकल संगे सैकड़ों कार्यकर्ता धरना पर डटल रहता। डा॰ बैजू कहलनि जे जखन कतेको राज्यक गठन भाषायी आधार पर कएल गेल तखन फेर अखन धरि मिथिला राज्यक गठन कियैक नहि भेल अछि, इ मिथिलाक संगे बेइमानी अछि। क्षेत्रक सभ सांसदसं अपील कएल गेल अछि जे वो सदनमे मिथिला राज्यक मांग लऽ अप्पन आवाज बुलंद करथि संगहि मैथिलीमे बहस करथि। डा. बैजू कहलनि जे LNWU केँ पांचम दीक्षांत समारोहमे भाग लै लेल आएल लोकसभा अध्यक्ष मीरा कुमार कहलनि जे मधुबनी आदरभंगा केर सांसदक छोड़ि क्षेत्रक कोनो सांसद सदनमे मैथिलीक उपयोग नहि करैत अछि। मिथिला राज्यक मांग करनिहार सभ संगठनसं ओ आंदोलन तेज करबाक अपील केलनि। प्रेसवार्तामे दौरान समरेन्द्र कुमार वर्मा, चंदशेखर झा , विष्णुदेव झा , डॉ.बुचरू पासवान , विनोद कुमार झा, पीके झा, विजयझा , बाबू साहब संगे बहुतो लोक उपस्थित छलथि।

0 comments:

Post a Comment