Tuesday, July 9, 2013

कखनो बंद भऽ सकैत अछि नरकटियागंज-रक्सौल रेलखंड

बेतिया/मुजफ्फरपुर : नेपालक जलग्रहण क्षेत्रमे लगातार भऽ रहल बरखा केँ कारणे मिथिलाक सभ नदीक जलस्तर तेजीसं बढ़ि रहल अछि। ओरियाक पानि सिकटामे रेल ट्रैक धरि पहुंचि गेल अछि जाहि कारणे नरकटियागंज-रक्सौल रेलखंड पर खतरा बढ़ि गेल अछि। एहि रुट पर रेल सेवा कखनो बाधित भऽ सकैत अछि। सिकटामे ओरिया नदी पर बन्हल पूर्वी बान्ह लगभगि 20 फीटमे टूटबासं एक दर्जन गाममे पानि पसड़ि गेल अछि। वाल्मिकीनगर बैराजसं सोमदिन 1.61 लाख क्यूसेक पानि छोड़बासं गंडक केँ जलस्तरमे वृद्धि भऽ रहल अछि, मुदा गंडक केर जलस्तर अखनो लाल निशानक निच्चा अछि।

0 comments:

Post a Comment