Tuesday, July 16, 2013

6 दिनक बाद श्रावणी मेला शुरू, नहि जागल अछि अखन धरि प्रशासन

सुल्तानगंज/भागलपुर : कांवरिया सभ एहि बरख सावनमे प्रशासानिक कोपभाजनक शिकार भऽ सकैत छथि। मात्र 6 दिन बाद शुरू होयवाली विश्व प्रसिद्ध श्रावणी मेलाक तैयारी कागजमे दौड़ि रहल अछि मुदा जमीनी स्तर पर प्रशासनक नीन अखन धरि नहि टूटल अछि। शहरक चारु कात गंदगी पसड़ल अछि। जलकुंभीसं पटल घाटक सफाई अखन धरि नहि भऽ सकल अछि मुदा प्रशासनक कहब अछि जे समयसं पूर्व सभ काज पूरा कऽ लेल जाओत।
सुल्तानगंजसं बाबाधाम (देवघर) धरिक 103 Km केर विश्व प्रसिद्ध श्रावणी मेलामे देश विदेशक लाखो लोक एतय आबि कऽ कांवरमे जल भरैत छथि आ पैदल चलि कऽ बाबाकेँ जल चढ़ौबैत छथि। देश विदेशसं पिछला बरखक अपेक्षा एहि बरख श्रद्धालुक संख्यामे भारी बढ़ोतरी होएबाक अनुमान लगाओल जा रहल अछि।

0 comments:

Post a Comment