समस्तीपुर - मधेपुरा रेलखंडकेँ भेटल एकटा नव ट्रेन
समस्तीपुर/मधेपुरा : समस्तीपुर-मधेपुरा रेलखंड पर आब सांझमे यात्रा करब मुश्किल नहि रहत। रेल प्रशासन एहि रेलखंड पर नव ट्रेनक परिचालनक स्वीकृति दऽ देलक अछि। आगामी शुक्रदिन एहि नव ट्रेनकेँ हरियर झंडी देखा लोकार्पित कएल जाएत। इ जानकारी दैत वरिष्ठ मंडल परिचालन प्रबंधक दिलीप कुमार बतौलनि जे इ नव ट्रेन 55534 सांझ 8.30 बजे समस्तीपुरसं खुजत, जो 2.15 बजे मधेपुरा पहुंचेगी। 8.50 बजे अंगारघाट, 9 बजे नरहन, 9.10 बजे रोसड़ा, 9.25 बजे नयानगर, 9.45 बजे हसनपुर, 10 बजे गढ़पुरा, 10.23 बजे सलोना, 11 बजे खगड़िया, 1.10 बजे सहरसा होइत 2.15 बजे मधेपुरा पहुंचत। 55533 मधेपुरासं भोर 6.05 बजे खुजत जे समस्तीपुर 12 बजे पहुंचत। बताबी जे एही रेलखंड पर सांझमे ट्रेन चलेबा कतेको बेर आंदोलन भेल छल। स्थानीय सांसद महेश्वर हजारी सेहो एहि खंड पर ट्रेन परिचालन लऽ रेलवे बोर्ड आ महाप्रबंधक केँ चिट्ठी लिखने छलथि।
0 comments:
Post a Comment