Thursday, July 25, 2013

मुंगेरमे खुजत मेडिकल कॉलेज

मुंगेर : योगनगरीक नामे नामी मुंगेर आब शैक्षणिक हब बनबाक बाटमे अछि। बिहार केबिनेट केर बैसारमे मुंगेरमे मेडिकल कॉलेज खोलबाक मंजूरी भेँट गेल। स्थानीय विधायक अनंत कुमार सत्यार्थी कहलनि जे मेडिकल कॉलेज आ इंजीनियरिंग कॉलेज केर स्थापना मुंगेरवासीक सपना छल। इंजीनियरिंग कॉलेजक निर्माण चलि रहल अछि आ आब मेडिकल कॉलेज खोलबाक स्वीकृति सेहो भेटि गेल अछि। आब मुंगेरमे विश्व विद्यालयक स्थापनाक लेल कोशिश करब। कैबिनेट द्वारा मुंगेरमे मेडिकल कॉलेज खोलबाक निर्णयसं क्षेत्रक लोकमे खुशी देखल जा सकैत अछि। आब हुनको धीया-पुता डॉक्टर, इंजीनियर बनबाक सपनाकेँ साकार कऽ सकता।

0 comments:

Post a Comment