पुरी एक्सप्रेस आब जयनगरसं
मधुबनी/जयनगर : दरभंगासं पुरी धरि चलयवाली सप्ताहिक एक्सप्रेस आब जयनगरसं चलत। अंतरिम रेलबजटमे एकर घोषणा कएल गेल छल। इ ट्रेन आगामी 3 अगस्तसं जयनगरसं चलत। जयनगर रेलवे स्टेशनक अधीक्षक बीएन सिंह बतौलनि जे 1 अगस्त केँ पुरीसं प्रस्थान कऽ पुरी एक्सप्रेस 2 अगस्त केँ 13.30 बजे जयनगर पहुंचत संगे 3 अगस्त केँ भोर 4.45 बजे पुरी लेल प्रस्थान करेत। पुरी एक्सप्रेसक विस्तारीकरण जयनगर धरि कएल जेबासं क्षेत्रवासीमे खुशीक लहरि अछि।
0 comments:
Post a Comment