विद्यापति पर्वक तैयारी शुरु
दरभंगा : विद्यापति सेवा संस्थानक तत्वाधानमे आयोजित त्रिदिवसीय मिथिला विभूतिपर्वक समारोह लऽ तैयारी शुरु भऽ गेल अछि। आजुक बैसारमे समारोह केँ 15,16 आ 17 नवंबर केँ मनेबाक निर्णय आएल। संस्थानक महासचिव डा. बैद्यनाथ चौधरी बैजू कहलनि जे समारोहमे मुख्य संरक्षक पद्मश्री डा. सीपी ठाकुर, डा.एसएम झा कुलपति LNMU, पूर्व कुलपति डा.एसपी सिंह LNMU, KSDSU कुलपति डा. रामचंद्र झा आ राम उदित दास शामिल हेता। स्वागत समितिक महासचिव डा. विद्यानाथ झा, सचिव जीवकांत मिश्र, कोषाध्यक्ष डा. बैद्यनाथ झा, सांस्कृतिक कार्यक्रमक प्रभारी कमलाकांत झा, विचार गोष्ठीक संयोजक मणिकांत झा, फूलचंद्र झा 'प्रवीण' , चंद्रमोहन झा पड़वा, स्मारिका विमोचन लेल श्री चंद्रेश, अमरकांत कुंवर, मिडिया प्रभारी चंद्रशेखर झा, मिथिला विभूति सम्मान प्रभारी कमलाकांत झा आ डा.धीरेन्द्र नाथ झाकेँ नेतृत्वमे समिति बनाओल गेल अछि। बैसारमे डा. शिवाकांत झा, डा. हरेकृष्ण चौधरी, डा. महानंद ठाकुर, उदय कांत मिश्र आदि उपस्थित छलथि।
0 comments:
Post a Comment