Wednesday, August 14, 2013

विकासक लेल चाही मिथिला राज - उदयशंकर मिश्र

दरभंगा : मिथिला राज्य संघर्ष समिति द्वारा मिथिला राज्यक मांग लऽ चलाएल जा रहल जनजागरण यात्रा सोमकेँ बेनीपुर, धरौड़ा पहुंचल जतय समितिक महासचिव उदयशंकर मिश्र प्रेस कांफ्रेस केँ संबोधित करैत कहला जे मिथिलाक सर्वागीण विकासक लेल मिथिला राज जरूरी अछि। भारत सरकार तेलंगानाक संग-संग मिथिला राज्यक गठन करय, एकरा लेल बिहार सरकार केँ चाही जे मिथिला राज्यक प्रस्ताव केन्द्र सरकार केँ पठबय।
उद्योग, खेती, आम, लिच्ची, चीनी,केला, मखान आ आलू पर आधारित उद्योगक उत्थान ति पनबिजली निर्माण संगे समग्र मिथिलाक विकासक लेल मिथिला राज्य जरूरी अछि। समितिक अध्यक्ष सत्यनारायण महतो कहलनि जे मधुबनी सांसद हुकुमदेव नारायण यादव द्वारा मिथिला राज्यक विरोध करबाक समिति निंदा करैत अछि। जे दल मिथिला राज्यक समर्थन करत ओहि दलकेँ संघर्ष समिति आगामी लोक सभा चुनावमे वोट देबाक अपील मिथिलाक जनतासं करत। समिति के सदस्य रामाश्रय राय कहलनि जे मिथिला आ मैथिलीक स्वाभिमानक रक्षार्थ लेल मिथिला राज्यक गठन जरूरी अछि। मौका पर सैकड़ोँ मिथिला राज्य समर्थक जुटल छलथि।

0 comments:

Post a Comment