Wednesday, August 14, 2013

मिथिला राजक लेल बनल समिति

दरभंगा/कोलकाता/मुंबई/नई दिल्ली : पृथक मिथिला राज्य निर्माणक लेल संयुक्त कार्रवाई समितिक गठन कएल गेल। इ जनतब दैत मिथिला राज्य संघर्ष समितिक महामंत्री उदय शंकर मिश्र बतौलनि जे बैद्यनाथ चौधरी बैजू केर नेतृत्वमे रामनारायण झा, डॉ. सत्यनारायण महतो, डॉ. बुचरू पासवान, सफी अहमद, अशोक झा, अमरेंद्र झा, अनूप चौधरी, प्रो. केएन झा, चक्रधर झा, कमल किशोर झा आ जीवकांत मिश्रकेँ काज शुरू करबाक दायित्व देल गेल अछि।

0 comments:

Post a Comment