Wednesday, August 14, 2013

अररियामे इंजीनियरिँग कालेज

अररिया : आब मिथिलाक छात्रकेँ इंजीनियरिंग केँ पढ़ाई लेल आन प्रदेश नहि जाय पड़त, आब मिथिलेमे आस्ट्रेलियाआ अमेरिकाक गुरु मिथिलाक छात्र केँ पढ़ेता। बताबी जे अररिया जिलाक फारबिसगंजमे शुरू भऽ रहल मोतीबाबू इंस्टीच्यूट आफ टेक्नालाजीमे छात्रकेँ अत्यधुनिक तकनीकसं पढ़बाक मौका भेटत। एतय छात्रकेँ सेटेलाइटक माध्यमे अमेरिका आ आस्ट्रेलियाक नामीशिक्षक पढ़ेता। एतय मात्र इंजीनियरिंगक पढ़ाई नहि संगे शोध आ आविष्कार पर जोर सेहो रहत।
संस्थानक डायरेक्टर संग आईसाफ्ट कंपनीक मालिक 31 वर्षीय अमित दास बतौलनि जे इ कालेज अंतर्राष्ट्रीय स्तरक अछि। एतुक्का इंफ्रास्ट्रेक्चरक संग-संग पढ़ाईमे सेहो उच्चस्तरीय अछि। श्री दासक अनुसार मिथिलाक छात्रमे प्रतिभाक कोनो कमी नहि अछि, मात्र ओकरा ताकि कऽ मंच देबाक जरुरत छैक। श्री दास साफ शब्दमे कहलनि जे भारतमे शोध आ आविष्कार पर कोनो खास ध्यान नहि देल गेल अछि जखन की विदेशमे शोध आ आविष्कार केँ प्राथमिकता देल जाइत अछि आ यैह कारण अछि जे विदेशक साफ्टवेयर आ नव-नव तकनीक हम उपयोग करैत छी। अखनो भारतक कतेको छात्र आन देश जा शोध कऽ रहल छथि।

*** सभटा सीट ***

इंजीनियरिंग लेल - 300
बीबीए लेल - 60
बीसीए लेल - 60

*** किछु खास ***

1. इंटरनेशनल स्तरक क्लास रूम
2. शोध आ आविष्कार पर जोर
3. दुनियाक नामी शिक्षक क्लास लेता
4. उच्चस्तरीय हास्टल केर सुविधा
5. आन कैँपस प्लेसमेंटक सुविधा

0 comments:

Post a Comment