Wednesday, August 14, 2013

रेलवे जल्दिये मिथिला क्षेत्रमे करत मैथिलीमे उद्घोषणा

समस्तीपुर : मिथिला क्षेत्रक रेलवे स्टेशन पर आब मातृभाषा मैथिलीमे उद्घोषणा कएल जाएत। पहिल चरणमे दरभंगा, सकरी, मधुबनी आ जयनगरसं शुरु कएल जाएत। मैथिलीमे उद्घोषणा लेल रिकार्डिँग तैयार कऽ लेल गेल अछि। आटो एनाउंसमेँट सिस्टममे फीड कएल जा रहल अछि। संविधानक अष्टम् अनुसूचीमे ऐबाक 9 बरखक बाद रेलवे एहि दिशामे पहल कयलक अछि। हिन्दी, अंग्रेजी केर बाद मैथिलीमे उद्घोषणा होएत। प्रथम चरण मे दरभंगाक अतिरिक्त सकरी , मधुबनी आ जयनगर मे प्रारम्भ होयत। आब ट्रेनक नाम मिथिलाक्षरमे लिखेबाक प्रतीक्षा अछि। मिथिलाक किछेक स्टेशन पर मिथिलाक्षरमे नाम लिखल गेल अछि आ आब एहि निर्णय केँ बाद हरेक स्टेशनमे मिथिलाक्षरमे नाम लिखाओत, एकर आस बढ़ि गेल अछि। इ निर्णय ऐलाक बाद मिथिलावासीमे खुशीक लहर अछि संगे किछु लोकक कहब अछि जे की इ भारतीय रेलवेक मिथिला क्षेत्रकेँ छोट करबाक प्रयास तऽ नहि!

0 comments:

Post a Comment