Sunday, September 22, 2013

मिथिला राज्य निर्माण यात्रा : 3

दरभंगा : मिथिला राज्य निर्माण सेना अप्पन प्रतीक्षित मिथिला राज्य निर्माण यात्रा 3, केर शुरुआत 5 अक्टूबरसं अहिल्यास्थान(दरभंगासं) करत जेकर समापन 12 अक्टूबर केँ उच्चैठ(मधुबनीमे) होएत। इ जनतब मिथिला राज्य निर्माण सेनाक अनूप कुमार देलनि। ओ कहलनि जे भारतीय गणतंत्रमे मिथिलाक पूर्ण विकसित संस्कृति, भाषा, लिपि, इतिहास आ भूगोल रहितो भारतीय मानचित्रमे मिथिलाक स्थान कतहु नहि छैक, क्रेंद्र आ राज्य सरकार आइ धरि एहि क्षेत्रक प्रति उदासीन रवैया अपनौने अछि जे आब बर्दाश्तसं बाहर अछि। भारत सरकार शांतिसं हमरा सभक मांग नहि सुनि रहल अछि। अनूप कुमार कहलनि जे मिथिला राज्य निर्माण यात्रा 3, जनगणमे जागृतिक एकटा प्रयास अछि।

2 comments:

  1. मिथिला राज्य... मिथिला राज्य .... हमर चाही मिथिला राज्य

    ReplyDelete
  2. bhikh nai adhikar cahi humra mithila rajya cahi

    ReplyDelete