नहि रहला वरिष्ठ पत्रकार सीताशरण झा
मधुबनी : मिथिलाक वरिष्ठ पत्रकार सीताशरण झाक मृत्यु बीतल रविकेँ रांचीक एकटा अस्पतालमे भऽ गेल। ओ 78 बरखक छलथि। झा पिछला एक बरखसं गलामे कैंसरक बीमारीसं पीड़ित छलथि।
झा अप्पन पत्रकारिता जीवनक शुरुआत 1960 मे पटनासं प्रकाशित अंग्रेजी दैनिक सर्चलाईटसं कएने छलथि। एकरा बाद ओ इंडियन नेशन, बिजनेस एंड पॉलिटिकल आव्जर्बरमे सेहो काज केलनि। हिनक अंतिम संस्कार बुधकेँ मधुबनी जिलाक मानपुर गाममे होएत।
0 comments:
Post a Comment