Monday, September 30, 2013

मिथिला राज्यक लेल चलैत रहत संघर्ष : बैजू

राजनगर/मधुबनी : प्रखंडक रामपट्टी दुर्गास्थान परिसरमे बीतल रवि केँ मिथिला राज्यक गठनक समर्थनमे कार्यक्रमक आयोजन कएल गेल। सरपंच रामसुंदर महतो केर अध्क्षतामे आयोजित कार्यक्रममे उपस्थित लोककेँ संबोधित करैत मिथिला राज्य संयुक्त संघर्ष समितिक अध्यक्ष डा. बैद्यनाथ चौधरी बैजू मिथिला राज्यक गठन केँ समयक मांग कहलनि। ओ कहलनि जौँ तेलंगाना, छत्तीसगढ़ आदि राज्यक गठन भऽ सकैत अछि तऽ मिथिला राज्यक गठन कियैक नहि भऽ सकैत अछि। उपस्थित लोकक चेतनाकेँ झकझोरैत डा. बैजू कहलनि जे आब मिथिलावासी केँ अप्पन अधिकारक प्राप्ति लेल सड़कसं संसद धरि संघर्ष करय पड़त। भारतक लोकतांत्रिक इतिहास साक्षी अछि जे बिना जनांदोलनक लोककेँ अधिकार नहि भेटैत अछि। आर्थिक आजादी, भाषायी आजादी, उद्योग, क्षेत्रमे बाढ़ि , सुखाड़ आदिक समस्या लऽ स्थायी निदान मिथिला राज्यक गठनसं संभव अछि। डा. बैजू कहलनि जे मिथिला राज्यक गठन एकमात्र लक्ष्य अछि जेकरा लेल आंदोलन होइत रहत। मुखिया रामउदगार यादव मिथिला राज्यक निर्माण लेल चलि रहल आंदोलन केँ पूर्ण समर्थन देबाक घोषणा केलनि। सभाकेँ मुखिया अरूण चौधरी, विश्वनाथ यादव, इंद्रमोहन झा, संतोष कुमार, चन्द्रशेखर झा, विनोद कुमार, शंकर, मो. नुरूल, संजय महतो, इंद्रकांत झा, बोधनारायण सिंह, नेवी लाल आदि संबोधित किया।

0 comments:

Post a Comment