Sunday, October 6, 2013

मिथिला राज्यक गठन लेल बनय आयोग

दरभंगा : मिथिला राज्य संघर्ष समितिक बैसार बीतल शनिकेँ राम नारायण झाक अध्यक्षतामे भेल जाहिमे केँद्र सरकारसं मिथिला राज्यक गठनक लेल राज्य पुनर्गठन आयोगक स्थापन पर जोर देल गेल। समितिक संयोजक उदयशंकर मिश्र कहलनि जे पुराण, रामायण, महाभारतमे मिथिला राज्य उल्लेख अछि। सर्वाँगीण विकासक लेल मिथिला राज्य जरुरी अछि। एहि बैसारमे समितिक अल्पसंख्यक प्रकोष्ठक गठन करैत ओकर अध्यक्ष रियाज अली खान केँ बनाएल गेल। श्री मिश्र जनौलनि जे 11 अक्टूबरसं तीन दिवसीय मिथिला ग्रामीण जन जागरण यात्रा निकालल जाएत। एहि यात्राक प्रभारी प्रवीण नारायण चौधरी केँ बनाएल गेल अछि। बैसारमे चंद्रशेखर झा, शफी अहमद, रियाज अली खान आदि भाग लेलनि।

0 comments:

Post a Comment