Tuesday, October 15, 2013

पाइलीनसं प्रभावित मिथिला, अधिकतर नदी लाल निशानक पार

मुजफ्फरपुर : ओडिशा आ आंध्र प्रदेशक तटीय जिलाकेँ हिलाबैत तूफान पाइलीनक असरि आब मिथिलामे देखबाक भेटि रहल अछि। मिथिलामे पिछला 30 घंटासं लगातार भऽ बरखा भऽ रहल अछि। एहि कारणे कतेको नदी लाल निशानक पार अछि। तेज हवाक झोँकासं कांच मकान आ गाछ खसि रहल अछि। मिथिलासं 3 गोटेक मृत्युक खबरि सेहो अछि। मौसम विभाग चेतावनी देलक अछि जे अगिला 40 घंटामे मिथिलामे भारी बरखा होएत। बताबी जे मिथिलाक अधिकतर क्षेत्रमे लगातार बरखा भऽ रहल अछि। पछिला 24 घंटासं लगातार बरखासं सड़क पर पानि भरि गेल अछि। नदीक जलस्तर लगातार बढ़ि रहल अछि। तूफानक असर इ अछि जे कतेको इलाका बाढ़िक बाट पर ठाढ़ अछि। उत्तरी मिथिलाक सहरसा, सुपौल, मधेपुरा, पुर्णिया, कटिहार, दरभंगा, मुजफ्फरपुर, वैशालीमे लगातार बरखा भऽ रहल अछि। क्षेत्रक कोशी, गंडक, कमला बलान, बागमती आ गंगा नदी उफान पर अछि। कतेको शहरमे बिजली गुम अछि, तूफान कारणे रास्तामे खसल गाछसं आवाजाही पर असर पड़ल अछि। मधेपुरा आ वैशालीमे पेड़ खसबासं किछु मकान आबि गेल जाहिसं तीन गोटेक मृत्यु भऽ गेल जाहिमे 2 टा छोट बच्चा छल। हालातसं निपटबा लेल बिहारक मुख्यमंत्री नीतीश कुमार सभ जिलाक जिलाधिकारीकेँ एलर्ट केने छथि। एतय NDRF केर 2 टा अतिरिक्त टीम बजा लेल गेल अछि।

0 comments:

Post a Comment