Tuesday, October 15, 2013

झंझारपुर केँ जिला बनेबाक मांग तेज

झंझारपुर(मधुबनी) : जनसंघर्ष मोर्चा झझारपुर केँ जिला बनेबाक मांग पर आगामी 28 अक्टूबर केँ झंझारपुर बंद करत। इ निर्णय मोर्चाक एकटा बैसारमे लेल गेल। बैसार प्रखण्ड कार्यालयक महावीर मंदिर प्रागणमे श्याम नारायण महतोक अध्यक्षतामे भेल। बैसारमे मोर्चासं जुड़ल दर्जनों वक्ता कहलनि जे इ सरकार बहिर भऽ गेल अछि। मोर्चा लगातार झझारपुर केँ जिला बनेबाक मांग पर शातिपूर्ण धरना प्रदर्शन कऽ सरकारक ध्यान एहि मांग दिस आकृष्ट कराबैत रहल अछि मुदा सरकार सुनबाक नाम नहि लऽ रहल अछि। वक्तागण कहलनि जे आब संघर्ष केँ तेज करबाक अलावे कोनो आओर विकल्प नहि अछि। एहि लेल झंझारपुर केँ 28 अक्टूबर केँ बंद करबाक निर्णय लेल गेल। मोर्चाक संयोजक ओम प्रकाश पोद्दार झंझारपुर अनुमंडल मुख्यालयसं सभ व्यवसायी, बुद्धिजीवियों, सभ दलक लोक आ आमजनसं अपील केलन्हि जे बंद केँ सफल बनेबाक लेल सभी एक भऽ संग दी ताकि झंझारपुर केँ जिला बनेबाक लेल सरकार बाध्य होए!

0 comments:

Post a Comment