Tuesday, October 15, 2013

727 करोड़ रुपयासं वरुणासं रसियारी धरि बनत 120 km SH

समस्तीपुर : जिलाक दलसिंहसराय केर वरुणा पुलसं घनश्यामपुर प्रखंडक रसियारी पुल धरि स्टेट हाइवे सड़क केर निर्माण होएत। एहि 120 Km सड़क केर निर्माणमे 727 करोड़ रुपया खर्च होएत। एहि स्टेट हाइवेमे 325 पुलिया, 9 पुल संग 3 आरओबी केर निर्माण होएत। बीतल शनि केँ जरिसो गाममे सड़क निर्माण कंपनी बीस नईया कंस्ट्रक्शन लिमिटेड आ चढ्डा एंड चढ्डा कंस्ट्रक्शन लिमिटेड दिससं निर्माण लेल भूमि पूजन केलक अछि। निर्माण एजेंसी के अधिकारी मेजर आरएस चौहान बतौलनि जे घनी आबादी लग 27 km बाइपास सड़क बनत। भूमि पूजनक बाद स्थानीय लोकमे खुशी अछि।

0 comments:

Post a Comment