भागलपुर मेगा फूड पार्क केँ भेटल दू मासक समय
भागलपुर : भाजपाक राष्ट्रीय प्रवक्ता आ भागलपुरक सांसद शाहनवाज हुसैन कहलनि जे मेगा फूड पार्क भागलपुर टामे बनबाक चाही। ओ कहलनि जे केन्द्र सरकार भागलपुरक मेगा फूड पार्क स्थापित करबाक लेल 2 मासक अवधि विस्तार कएल गेल अछि। केन्द्र राज्य सरकार केँ दू मासक भीतर जमीन उपलब्ध कराबय लेल कहलनि।
सांसद कहलनि जे मेगा फूड पार्क भागलपुरक जरूरत अछि। एहिसं नहि मात्र भागलपुरक विकास होएत बल्कि पूरा मिथिलामे कृषि आधारित औद्योगिक क्रांति होएत। विकासक एतेक पैघ प्रोजेक्टमे राजनीति बीचमे नहि ऐबाक चाही। शाहनवाज कहलनि जे पिछला दिन ओ मेगा फूड पार्कक विषय पर केन्द्रीय कृषि मंत्री शरद पवारसं मुलाकात केने छलथि। ओ मंत्री केँ पत्र सेहो देने छलथि। आब राज्य सरकारक जिम्मेवारी अछि जे भागलपुरमे मेगा फूड पार्क लेल जल्द सं जल्द जमीन उपलब्ध कराबय। ओ कहलनि जे राज्य सरकार एतेक दिनमे जमीन उपलब्ध नहि करा सकल छल, अंतमे बांकामे मेगा फूड पार्क बनेबा लेल जमीन उपलब्ध करेबाक बात कहल गेल मुदा भागलपुरक संग अन्याय होएत। सांसद मेगा फूड पार्क स्थापित करनिहार कंपनी प्रबंधनसं बात केलन्हि आ बतौलनि जे कंपनी भागलपुरमे किछु प्राइवेट जमीन ताकि रहल अछि। सांसद तीन दिवसीय दौरा पर भागलपुरमे छथि।
0 comments:
Post a Comment