Wednesday, October 16, 2013

कोलकातामे होयत भामतीक प्रथम नाट्य मंचन

कोलकाता : शहरक प्रख्यात साहित्यिक-सांस्कृतिक संगठन 'मिथियात्रिक झंकार' द्वारा स्थानीय कलाकुंज (कला मंदिर) मे नाट्यकार श्री सुशील झा लिखित सामाजिक आ ऎतिहासिक मैथिली नाटक “भामती” क प्रथम मंचन रविदिन, 19 जनवरी 2014 कें कएल जायत । विदित हो जे किछु स्थानीय बुद्धिजीवी एवं रंगप्रेमीक सत्प्रयासेँ दू-टा पुरान नाट्य संस्था 'मिथियात्री' एवं 'झंकार'क एकीकरण कएल गेल अछि आ एकटा नव संस्था 'मिथियात्रिक झंकार' गठित क' कलकतिया रंगमंचमे नव-प्राण फुकबाक प्रयासक अंतर्गत अपन दोसर/ नबका नाट्य प्रस्तुति लय क’ आबि रहल अछि। एहि महान नाटकक सफ़ल निर्देशन करताह प्रख्यात अभिनेता आ निर्देशक श्री शंभूनाथ मिश्रा जी। कहबाक आवश्यकता नहि जे महान विभूति पं. वाचस्पति मिश्राक महान तेजस्वनी एवं तपसी धर्म पत्नी भामतिक अभूतपूर्व त्याग एवं साधना पर आधारित संवेदनशील नाटक अछि ‘भामति'। कोलकाताक मैथिली रंगमंचक माजल कलाकार लोकनि एहि नाटकमे जीवंत अभिनय करताह जाहिमे श्री शंभूनाथ मिश्रा जी, दिनेश मिश्रा जी, श्री संजय ठाकुर, श्रीमती शशिता राय, श्री उत्तम चौधरी आदि कलाकार प्रमुख छथि। (समाद : भास्कर झा)

0 comments:

Post a Comment