Monday, October 28, 2013

आब के बनाओत लक्ष्मी-गणेशक मूर्ति

भागलपुर/बेगूसराय : आधुनिकताक दौड़मे जतय विभिन्न तरहक आकर्षक झालर आ बल्ब बाजारमे आबि गेल अछि मुदा बिजलीक कमी आ महंग होएबाक कारणे बिजलीक सामान अधिकतर लोकक पहुंच सऽ बाहर अछि। एनामे कुम्हारक व्यवसाय पर कोनो फर्क नहि पड़ल अछि आ यैह कारण अछि जे दीयाबाती अबिते देरी कुम्हार दीप, भुटकी, ऋद्धि-सिद्धि, गणेश-लक्ष्मी आदिक निर्माणमे जुटि गेल छथि। कुम्हार सभ कहैत छथि जे ओ सभ दिनराति मेहनत कऽ घैल, दीप, भुटकी संगे विभिन्न प्रकारक मूर्तिक निर्माण करैत छथि। पावनि पर तऽ मेहनत कऽ सामान बनाबय छी आ आपूर्ति सेहो भऽ जाइत अछि मुदा तखनो महंगाइक मारि झेलय पड़ि रहल अछि कियैक तऽ शहरक आबादी बढ़ि जेबासं आब तऽ मिट्टी कीनि कऽ दूरसं आनय पड़ैत अछि संगे जारन सेहो दिनानुदिन महंग होइत जा रहल अछि आ ऊपरसं मिट्टीक बर्तनक बिक्रीमे लगातार गिरावट आबि रहल अछि। हिनक सभक कहब अछि जे आर्थिक स्थिति दयनीय होयबाक बावजूद सरकार द्वारा हुनका सभ के कोनो तरहक आर्थिक सहायता नहि भेटैत अछि। लालकार्ड, बीपीएल, अन्त्योदय, अन्नपूर्णा आदि लाभ सभसं सेहो हिनका सभकेँ वंचित कऽ देल जाइत अछि।

0 comments:

Post a Comment