Monday, October 28, 2013

दीयाबाती आ छठक भारी भीड़ देखैत मुंबई लेल 2 गोट स्पेशल ट्रेन

मुजफ्फरपुर/जयनगर : बंबइया यात्री लेल खुशखबरी अछि। दीयाबाती आ छठमे यात्रीक भारी भीड़ देखैत हुए पूर्व मध्य रेल मुजफ्फरपुर आ जयनगरसं मुंबई धरि लेल स्पेशल ट्रेन चलेबाक फैसला लेलक अछि। ट्रेन 29 अक्तूबरसं 14 नवंबर धरि चलत।
गाड़ी संख्या (01049) लोकमान्य तिलक टर्मिनल-जयनगर साप्ताहिक स्पेशल ट्रेन सभ मंगलकेँ अर्थात 29 अक्तूबर, 5 नवंबर व 12 नवंबर केँ लोकमान्य तिलक टर्मिनलसं 1.20 बजे खुजत। एकरा अलावे 31 अक्तूबर, 7 आ 14 नवंबरकेँ जयनगर लोकमान्य तिलक टर्मिनल स्पेशल ट्रेन (01050) 12 बजे खुजत। इ गाड़ी मधुबनी, दरभंगा, मुजफ्फरपुर, हाजीपुर, सोनपुरक होइत तेसर दिन लोकमान्य तिलक टर्मिनल पहुंचत।
एहि तरहे गाड़ी संख्या (01057) 30 अक्तूबर, 6 आ 13 नवंबरकेँ लोक मान्य टर्मिनलसं मुजफ्फरपुर लेल 2.20 बजे खुजत, ओतहि मुजफ्फरपुरसं गाड़ी संख्या (01058) केर परिचालन 1, 8 आ 15 नवंबरकेँ सांझ 4.10 बजे चलत।

मुंबइया यात्री आब सीधा IRCTC के साइट वा रिर्जवेशन कांउटर पर जाउ अन्यथा इहो ट्रेनक सीट फुल भऽ जाएत!

0 comments:

Post a Comment