जानकारक मानी तऽ बनमनखी लग सिकलीगढ़क पत्थरक स्तंभकेँ 19म सदीमे एक अंग्रेज अफसर वाडेल 7 हाथीक मददिसं खींच निकालने छलथि। स्तंभ बुनियाद जमीनसं 12 फुट नीच छल। बुनियादमे वाडेलकेँ सोनाक सिक्का भेटल छल जासिमे सं एक सिक्का पौंड्रक वासुदेव नामक राजाक छल। एहि सिक्काक कीमत एहि दिन अरबोमे अछि। इ सिक्का इंग्लैंडमे अखनो अछि।
अररियाक भेंडियारी गाममे राजा विराटक गढ़ छल। एतयसं एक नहि कतेको दुर्लभ वस्तु प्राप्त भेल छल। वीरवन, दभड़ा गामक राजा दौड केर टीला आब स्थान तऽ आब विलुप्त होएबाक बाट पर अछि। जमीनसं 8-10 फुटक गहराईमे आइयो दुर्लभ एन्टिक छिपल अछि।
..तखनुका SP तकने छलथि बहुमूल्य मूर्ति
अररियाक तत्कालीन SP शिवदीप लांडे पलासी प्रखंडक बरहकुंबा गाममे 8-10 फुट कोरबाक बाद बहुमूल्य मूर्ति खोज तकने छलथि। बरखो पहिले कथा शिल्पी रेणु सेहो सौरा नदीक उद्गममे तल केर 7 फीट नीच्चासं कारी पाथरक कतेको कलाकृति तकने छलथि। समदागढ़सं नेपालगढ़ धरि एहन कतेको ठाम अछि जतय प्राचीन कालक चीज भेटैत रहैत छैक मुदा प्रशासनकेँ एहि सभसं कोनो टा मतलब नहि।
#प्रमुख प्राचीन ठामक सूची
1. समदागढ़ - राजा कर्णदेव - 8म सदी
2. भेडियारी- राजा विराट- महाभारत काल
3. दौड का टीला- राजा दंड- महाभारत काल
4. भनसीया पोखर- राजा विराट- महाभारत काल
5. झमहा पोखर- राजा विराट- महाभारत काल
6. साहसमल- राजा साहसमल- नवम सदी
7. वेणुगढ़- राजा वेणु- नवम सदी
8. वड़ीजानगढ़- राजा वरिजन- नवम सदी
9. सिकलीगढ़- अज्ञात- पहिल सदी
10. बलीगढ़- अज्ञात- अज्ञात
11. बानर झूला- अज्ञात- नवम सदी
12. चंडीपुर- महाराज कुसुम सिंह- 8म सदी
13. असुरागढ़- कीचक राजा- महाभारत काल
14. नेपाल गढ़- भोटिया राजा- अज्ञात
0 comments:
Post a Comment