Saturday, October 26, 2013

नेपालकेँ फेर सैन्य मदद देत भारत

काठमांडू : भारत 9 बरखक बाद नेपाल केँ सैन्य सहायता बहाल कऽ देलक अछि। नेपालक सेना शुक्रकेँ इ जानकारी देलक। समाचार एजेंसी शिन्हुआक मानी तऽ, सेना अधिकारीक एक दल पहिलहि जरुरी तकनीकी तैयारी आ सैन्य मदद लेबा लेल भारतमे अछि।
सामानक पहिल खेप 2 दिनक भीतर नेपाल पहुंचत। नेपाली सेनाक लेल भारत मदद लेल बड्ड पैघ आपूर्तिकर्ता छल मुदा राजा ज्ञानेंद्र द्वारा बरख 2004 मे राजनीतिक तख्तापलटक बाद भारत नेपालकेँ सैन्य मदद देबा बंद कऽ देलक।
नेपालसं 2006 मे भेल व्यापक शांति समझौतासं नेपाली सेनाकेँ भारतसं सैन्य सहायता लेबा पर रोक लगा देने छल मुदा पिछला बरख पूर्व माओवादी लड़ाकू के सेनामे जोड़ि इ बाधा दूर भऽ गेल छल। सेनाक मुताबिक, भारत नेपाली सेना केँ हथियारक संग 214 हल्का आ 154 भारी सैन्य वाहन उपलब्ध कराएत।

0 comments:

Post a Comment