बताबी जे पछिला बरख बेसी बाहरी कलाकारक ऐबा पर संगे मिथिला लोक उत्सव पर मैथिलीकेँ उपेक्षित करबाक सन आरोप लागल छल जाहिमे हायाघाटक विधायक अमरनाथ गामी एहि तरहक मिथिला विरोधी लोक उत्सवक विरोधी छलथि।
मिथिला लोक उत्सव 1-2 दिसंबर के
दरभंगा : मिथिला लोक उत्सव 1-2 दिसंबर केँ डा. नागेंद्र झा स्टेडियममे आयोजित होएत। एहि संबंधमे DM कुमार रवि केर अध्यक्षतामे बैसार भेल जाहिमे मिथिलाक सभ्यता, संस्कृति आ रीति रिवाज पर जोर देबाक निर्णय लेल गेल। मिथिलाक गरिमाक अनुरूप कार्यक्रमक प्रस्तुति होए, मैथिली लोकगीत आ लोक नृत्यक समावेश होए। DM निर्देश दैत कहला जे स्थानीय कलाकारक चयन कऽ कार्यक्रममे जोड़ि। जट जटीन, सामा चकेवा, आल्हा उदल, झरनी लोक गाथाक प्रस्तुति पर जोर होए। मिथिला लोक उत्सवमे चर्चित स्थानीय कलाकार संगे प्रसिद्ध पार्श्व गायक जावेद अली, अपूर्वा साह, नेहा चौहान, रिनी चन्द्रा संगे बहुतो कलाकार शामिल हेता।
बताबी जे पछिला बरख बेसी बाहरी कलाकारक ऐबा पर संगे मिथिला लोक उत्सव पर मैथिलीकेँ उपेक्षित करबाक सन आरोप लागल छल जाहिमे हायाघाटक विधायक अमरनाथ गामी एहि तरहक मिथिला विरोधी लोक उत्सवक विरोधी छलथि।
बताबी जे पछिला बरख बेसी बाहरी कलाकारक ऐबा पर संगे मिथिला लोक उत्सव पर मैथिलीकेँ उपेक्षित करबाक सन आरोप लागल छल जाहिमे हायाघाटक विधायक अमरनाथ गामी एहि तरहक मिथिला विरोधी लोक उत्सवक विरोधी छलथि।
0 comments:
Post a Comment