मधेपुरा : मधेपुरा सांसद शरद यादव केँ भारतक राष्ट्रपति प्रणब मुखर्जी द्वारा 9 दिसंबर केँ संसद भवनक सेंट्रल हॉलमे बरख 2012 केर सर्वश्रेष्ठ सांसदक पुरस्कार। लोकसभाक महासचिव एस.बालशेखर श्री यादव केँ एहि लेल चिट्ठी पठा कऽ कहलनि जे भारतीय संसदीय समूह बरख 2012 केर सर्वश्रेष्ठ सांसदक रूपमे अहांकेँ पुरस्कृत करत। प्रधानमंत्री आ लोकसभा अध्यक्षक उपस्थितिमे राष्ट्रपति द्वारा इ सम्मान हिनका देल जाएत। एतय भूपेन्द्र ना. मंडल विश्वविद्यालय, दू गोट NH , क्षेत्रमे पुलक पैघ श्रृंखला आदिक संग एतय मेडिकल आ इंजीनियरिंग कालेजक घोषणा आदिक कारणे हिनक लोकप्रियता बढ़ल अछि। शरद यादव केँ सर्वेश्रेष्ठ सांसदक सम्मान भेटभासं मधेपुरावासीमे खुशी देखल जा सकैत अछि।
सर्वश्रेष्ठ सांसद छथि शरद यादव

0 comments:
Post a Comment