कांटी थर्मलसं निकलल 110 मेगावाट बिजली
मुजफ्फरपुर : बिहारक मुख्यमंत्री नीतीश कुमार आइ कहलनि जे हुनक सरकार राज्यकेँ ऊर्जा क्षेत्रमे आत्मनिर्भर बनेबाक लेल कृतसंकल्प अछि आ जौँ बरख 2015 धरि सभ घरमे बिजली नहि पहुंचेत तऽ हम वोट मंगबा लेल नहि आएब।
नीतीश कुमार कांटी बिजली उत्पादन निगम लिमिटेडक मुजफ्फरपुर थर्मल पावर स्टेशनक पहिल चरणक 110 मेगावाटक पहिल इकाईक आधुनिकीकरणक लोकार्पण करबाक बाद कार्यक्रमकेँ संबोधित करैत कहला जे इकाइक बाद संयंत्रमे 195-195 मेगावाट क्षमताक 2 गोट नव इकाईयसं अगिला बरख उत्पादन शुरू होएबाक पूर्ण संभावना अछि। ओ कहलनि जे कांटी संयंत्रक आधुनिकीकरण कएल जा रहल अछि आ आबय वला समयमे 500 मेगावाटक अतिरिक्त क्षमताक नव इकाईक स्थापना कएल जाएत।
0 comments:
Post a Comment