Thursday, November 7, 2013

2013 क यात्री चेतना पुरस्कार ज्योत्सना चंद्रम केँ

पटना/दरभंगा : मैथिलीक साहित्यकार ज्योत्सना चंद्रमकेँ बरख 2013 केँ यात्री चेतना पुरस्कार भेटत। श्रीमती चंद्रमकेँ चेतना समिति, पटनाक सचिव वासुकीनाथ झाक चिट्ठी सेहो भेट गेल अछि। आगामी 15 नवंबरकेँ पटनामे आयोजित विद्यापति स्मृति पर्व समारोहमे हिनका पुरस्कृत कएल जाएत। मैथिलीक प्रतिष्ठित साहित्यकार स्व मार्कण्डेय प्रवासीक बेटी श्रीमती चंद्रमकेँ कतेको पोथी प्रकाशित भऽ चुकल अछि। श्रीमती चंद्रम मैथिलीक संग हिँदीमे सेहो लिखैत छथि। श्रीमती चंद्रम अखन दरभंगाक हालीक्रास पब्लिक स्कूलमे हिँदीक विभागाध्य्क्ष छथि। गरुआरा, समस्तीपुरमे जनमल ज्योत्सना इ पुरस्कार पौनिहाइर मैथिलीक 14म साहित्यकार छथि। पछिला बरख इ पुरस्कार रामभरोस कापड़ि भ्रमर, जनकपुर(नेपाल) केँ भेटल छल।

1 comment: