Tuesday, November 19, 2013

ABMP केर क्रांति रथ आइ खगड़िया घूमल

खगड़िया: मिथिला राज्य निर्माण मांग लऽ अखिल भारतीय मिथिला पार्टी द्वारा निकालल गेल मिथिला क्रांति मंगलदिन शहर घूमल। रथ पर सवार नेता शहरक राजेन्द्र चौक, बलुआही आदि ठाम पर नुक्क्ड़ सभा केँ संबोधित केलनि। अखिल भारतीय मिथिला पार्टीक राष्ट्रीय महासचिव रत्नेश्वर झा मौका कहलनि जे मिथिलाक इतिहास गौरवशाली रहल अछि मुदा अखन पिछड़ापनक दंश झेलि रहल अछि। ब्रिटिश जमानामे मिथिलामे रैयाम, सकरी, लोहट, रीग संगे कतेको चीनी मिल चलैत छल। एतय कुशियार बेचि किसान खुशहाल छल। आइ सभ चीनी मिल बंद अछि। कोनो नव उद्योग नहि अछि। केन्द्र आ राज्य सरकारक ध्यान एहि दिस नहि जा रहल अछि, ऐनामे एतुक्का गरीबी कोना दूर होएत! दुनियाक लोक मनैत अछि जे छोटे राज्यमे विकास फाजिल होइत अछि। ओ कहलनि जे स्वास्थ्य, शिक्षा,, बिजली उत्पादन आ खपतमे विकासक मापदंड पर मिथिला अंतिम स्थान पर अछि। मौका पर अभामिप केर सैकड़ो कार्यकर्ता उपस्थित छलथि। शहर घूमलाक बाद क्रांति रथ नवगछिया लेल बिदा भऽ गेल।

3 comments:

  1. Replies
    1. @Editor Team - This is a new feature.. now the readers can give reply to the comments [NESTED COMMENT 1]

      Delete
    2. NESTED COMMENT 2... Wonderful feature.

      Did you like it ??

      Delete