जनकपुर : मैथिली सिनेमाक इतिहासमे लघु फिल्मक अपन महत्व अछि। मैथिलीमे पूर्ण फ़ीचर फिल्म, विडियो फिल्मक संग संग लघु आ डॉक्यूमेन्टरी फिल्मक निर्माण सदति होइत रहल अछि। राष्ट्रीय ओ अन्तर्राष्ट्रीय फ़लक पर मिथिला, मैथिल आ मैथिली सिनेमाक पहिचान बनबैमे लघु आ डॉक्यूमेन्टरी फिल्मक योगदान उल्लेख़नीय अछि। बहुप्रशंसित फ़िल्म रक्त तिलक, कमला, नैना जोगिन, अफ़वाहक बाद, मैथिलीक बहुचर्चित फिल्म मुखिया जी आ प्राइड ऑफ़ मिथिलाक युवा निर्देशक विकास झा अप्पन एकटा आओर लघु फ़िल्म हम बियाह नइ करब ल’ क’ आबि रहल छथि।सेव द चिल्ड्रन केर सहयोगमेरेड क्रॉस सोसाइटी, नेपाल जिला सिरहाके लेल बनल लघु फ़िल्म हम बियाह नहिं करब बाल विवाह पर आधारित अछि । 30 मिनटक एहि फ़िल्मक पूरा शूटिंग सम्पूर्ण जनकपुरमे सम्पन्न भेल। मिथिला नाट्य कला परिषद्(MINAP)के वरिष्ठ कलाकार द्वारा अभिनीत एहि फिल्ममे संगीत देने छथि मल्लिक बंधु सुनील आ प्रवेश जी। फिल्मक निर्माण प्रख्यात गायक ओ संगीतकार सुनील मल्लिकजीक अपन प्रोडक्शन हाउस नवरस प्रलिमिटेड द्वारा कएल गेल अछि।
निर्देशक विकास झा निर्देशनक अतिरिक्त फिल्मक लेखन आसंपादन कएने छथि। हिनका संगे उदीयमान युवा निर्देशक अभिनव झा सेहो लेखन आ छायांकनमे एहि प्रोजेक्टपर सक्रियरुपे कार्यरत छलाह। राकेश मंडल, अमीषा दत्त, गंगा कान्त झा, अनीता मंडल, रविंदर झा, रामनारायण ठाकुर, विष्णु कान्त मिश्र। मदन ठाकुर, अनिल झा, प्रमेश झा, ज्योति झा, प्रकाश झा आदि किछु प्रमुख कलाकार छथि जिनक अभिनय कला आ क्षमता प्रशंसनीय अछि।
(साभार : मैथिली सिनेमा डाट काम)
मैथिलीमे अब अच्छी खासी डाक्यूमेँट्री फिल्मेँ बन रही है, Thats good sign for maithili cinema.
ReplyDelete