सामा चकेवा पावनिक आइ समापन
जनकपुर :
भाइसभक दीर्घायूक लेल बहिनसभद्वारा खेलल जाएवाला सामा चकेवा पावनिक आइ सांझमे समापन हैत। भाइ सभ सांझमे ठेहुन पर सामा चकेवाके फोड़लाक बाद बहिनसभ गीत गबैत समाके भसौति।
जनकपुरमे गंगा सागरक पूर्वारी मोहारपर समा भसाओल जाइत अछि तऽ गाम घरमे जोतला खेतमे सामाके भसाओल जाइत अछि।
सामाक अन्तिम दिन भेलाक कारण काल्हि अबेर रातिधरि सामा खेलल गेल छल।
माटिक सामा, चकेवा, वृन्दावन, चुगिला सहितक मूर्ति सभ बना कऽ विभिन्न गीत सभ गबैत प्रत्येक राति महिलासभ सामा खेलैत छथि। भगवान कृष्णक पुत्रीक नामसं खेलल जाएवाला सामा खेललासं भाइके औरदा बढएकेँ जनविश्वास अछि।
इ खेल घरघरमे खेलल जाइत अछि। ग्रामीण क्षेत्रमे एकर विशेष आकर्षण रहैत अछि। छठिक खरनासं शुरु होबएवाला इ पावनि पूर्णिमा धरि चलैत अछि।
(समदिया : जनकपुरसं सुजीत कुमार झा)
0 comments:
Post a Comment