Friday, November 15, 2013

रेवतीरमण लाल केँ विद्यापति पुरस्कार

जनकपुर : मैथिली भाषा साहित्यक लेल देल जाएबला सभसं बड़का पुरस्कारके आइ घोषणा कएल गेल अछि। नेपाल विद्यापति मैथिली भाषा साहित्य पुरस्कार मैथिलीक वरिष्ठ साहित्यकार डा. रेवतीरमण लालके प्रदान करबाक निर्णय कएल गेल अछि। साढे चारि दशकसं मैथिली साहित्यमे कलम चला रहल डा. लालके मैथिली भाषामे एक दर्जन पुस्तक प्रकाशित रहल अछि। नेपाल सरकारद्वारा स्थापित विद्यापति पुरस्कार कोषद्वारा सभ बरख एक गोटेके 2 लाख आ चारि गोटेके 1-1 लाखके पुरस्कार विद्यापति स्मृति दिवसक दिन घोषणा करबाक परम्परा अछि। आइ घोषणा कएल गेल पुरस्कारसभमे नेपाल विद्यापति मैथिली कला संस्कृति पुरस्कार धनुषाक बहुअर्वाके शास्त्रीय गायक रामशोभित राउत, नेपाल विद्यापति मैथिली अनुसन्धान पुरस्कार राजविराज कैँपसक पूर्व प्राध्यापक डा. सुनिल कुमार झा, नेपाल विद्यापति मैथिली अनुवाद पुरस्कार डा. गंगाप्रसाद अकेला आ नेपाल विद्यापति मैथिली पाण्डुलिपी पुरस्कार काशीकान्त झा महापात्रके प्रदान करबाक निर्णय कएल गेल। इ जनतब विद्यापति पुरस्कार कोषक सदस्य सचिव श्यामसुन्दर शशि देलन्हि। डा. सुनिल कुमार झाके मैथिली ध्वनि विज्ञानमे अनुसन्धानक लेल पुरस्कार प्रदान करबाक निर्णय कएल गेल अछि तऽ डा. अकेलाके नेपाली साहित्यकार पारिजातक शिरिषके फुलके मैथिली भाषामे अनुवाद कएने छलाह। तहिना पाण्डुलिपि पुरस्कार विजेता काशीकान्त झा महापात्रके सीताचरित्र पुस्तकक लेल प्रदान करबाक निर्णय कएल गेल अछि।
मैथिली साहित्यकार डा. रामदयाल राकेशके संयोजकत्वमे गठन कएल गेल छनौट समिति ओ पुरस्कारक घोषणा कउने अछि। छनौट समितिक सदस्यमे नेपाल पत्रकार महासंघक पूर्व केन्द्रीय अध्यक्ष धम्रेन्द्र झा, राजविराजक देवेन्द्र मिश्र, कुम्हरौडा माविक शिक्षक रामचन्द्र झा रमण आ विद्यापति पुरस्कार कोषक सदस्य सचिव श्यामसुन्दर शशि रहल छथि। बीतल तीन बरखसं इ पुरस्कार प्रदान करैत आएल अछि।
(समदिया : सुजीत कुमार झा, जनकपुर)

0 comments:

Post a Comment